असोज २३, काठमाडौं । आसिन १७ गतेके बादक आएल मनसुनी विपद्मे ५३ गोटेके मृत्यु भेल अइछ । राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण बुधदिनधैर विपद्मे मृत्यु भेनिहारके सङ्ख्या ५३ पहुँचल जानकारी देने अइछ ।

प्राधिकरणके प्रवक्ता शान्ति महत सबसँ बेसी भूस्खलनसँ ४० गोटे, बाइढ़सँ ११ गोटे आ ठन्कासँ दू गोटेके मृत्यु भेल जानकारी देलैन अइछ । हुनक कहब अनुसार भूस्खलनसँ इलाममे मात्रे ३८ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ पाँचथरमे एक आ काभ्रेमे एक गोटेक मृत्यु भेल अइछ ।
तहिना, बाइढ़क कारण उदयपुरमे दू, धनुषामे दू गोटेक मृत्यु भेल अइछ, तँ इलाम, पाँचथर, खोटाङ, भोजपुर, मोरङ, सुनसरी आ रौतहटमे एक/एक गोटेके मृत्यु भेल प्राधिकरण जनौने अइछ । बाइढ़क कारण रसुवामे चाइर आ इलाममे एकसहित पाँच गोटे बेपत्ता भेल सेहो प्रवक्ता महत जानकारी देलैन ।
मनसुनी विपद्मे तीन दिनक अवधिमे ४७ गोटे घायल भेल अइछ ।
अस्थायी घर, पुनःस्थापन आ राहत प्रक्रियाके बारेमे बातचित सुरु भेल जानकारी दैत प्राधिकरण मनसुनी विपद्मे ५० जिला प्रभावित भेल बतौने अइछ ।