असोज २३, सर्लाही। प्रहरी चौकीपर आक्रमण कएल आरोपमे सर्लाही प्रहरी गोड़ैता नगरपालिका–७ के वाड अध्यक्ष विनेश कुमार दासकेँ गिरफ्तार केलक अइछ । वाड अध्यक्ष दासके नेतृत्वमे रहल समूहद्वारा गोड़ैता प्रहरी चौकीपर पथराव तथा फट्ठासँ आक्रमण कएल गेल जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक सरोज राई जानकारी देलैन ।

बितल आसिन १७ गते भेल घटनाक उजुरीके बाद वाड अध्यक्ष दासकेँ बुधदिन गिरफ्तार कएल गेल राई बतौलैन । प्रहरीके अनुसार बितल शुक्रदिन साँझक समयमे दुर्गा पूजाके चन्दाक विषयमे गोड़ैता नगरपालिका–७, सड़कपर स्थानीय कारिल यादवकेँ गोड़ैता नगरपालिका–५ निवासी अनिलराय यादवलगायत माइरपिट कएने छल ।
उक्त घटनामे संलग्न अनिल रायकेँ गोड़ैता प्रहरी पहिने गिरफ्तार कएने छल । ओइके बाद वाड अध्यक्ष दाससहितक किछ व्यक्तिसभ प्रहरी चौकीपर पथराव तथा फट्ठा प्रहार कएने छल । घटनामे प्रहरी नायब निरीक्षक अवधेश प्रसाद यादवके मुहमे गम्भीर चोट लागल अइछ, तँ अन्य पाँच गोटे प्रहरी सेहो घायल भेल अइछ ।
घायल प्रहरी नायब निरीक्षक यादवक प्रतिवेदनके आधारपर वाड अध्यक्ष दास विरुद्ध माइरपिट, अङ्भङ्ग, जान मारबाक उद्योग तथा आपराधिक उपद्रव शीर्षकमे जाहेरी दर्ता भेल उपरीक्षक राई बतौलैन ।
ओएह मुद्दामे सर्लाही जिला अदालतसँ जारी भेल पक्राउ पुर्जीके आधारपर वाड अध्यक्ष दासकेँ घटनाक अनुसन्धानक लेल गिरफ्तार कएल गेल ओ बतौलैन । गिरफ्तार कएल गेल वाड अध्यक्ष दासकेँ जिला अदालतसँ तीन दिनक समय ल क अनुसन्धान आगु बढ़ाएल गेल अइछ ।
वाड अध्यक्ष दासकेँ प्रहरी गिरफ्तार कएने विरोधमे स्थानीय व्यापारी आइसँ गोड़ैता बजार बन्द करौने अइछ ।